Thursday, September 29, 2011

हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई दोसर दिन


१२ आसिन , जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई दोसर दिन माता ब्रम्हचारिणीके पुजा कएल गेल अछि ।
दशमीक काल्हि पहिल दिन कलस्थापना अर्थात कलशके स्थापना कएल गेल छल त आइ माता ब्रम्हचारिणीके पुजा कएल गेल अछि । राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।
आजुक दिन उच्चपिठ, शक्तिपिठ तथा दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता ब्रम्हचारिणीके पुजा केलनि अछि ।
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन