Thursday, September 29, 2011

व्यवसायीसबके इमान्दार बनय परत आपूर्तिमन्त्री भट्टक कहब


१२ आसिन , काठमाण्डौ । वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्ट व्यवसायीसबके इमान्दार बनय आग्रह कएलनि अछि ।
किछ व्यापारीसब कर नहि तिरयके आ सर्वसाधारण उपभोक्ताके ठकय लागि परल उल्लेख करैत मन्त्री भट्ट इमान्दारीके साथ व्यापार व्यवसाय करय आग्रह कएलनि अछि । नेपाल उद्योग व्यापार सङ्घ आइ भिन्सर राजधानीमे केने कार्यक्रममे मन्त्री भट्ट वाणिज्य विभागक अनुगनके क्रममे किछ दिन पहिने राजधानीमे व्यवसायीके ठकय नुकाबयके प्रवृति देखार भेलासँ व्यापारीसबके सुधरय परत बतौलनि । व्यवसायीसब सही रास्ता तय करत तखने सरकार निक व्यावसायिक वातावरण बनाबय सकत मन्त्री भट्टक कहब छलनि । ओ व्यवसायीके व्यवहारक कारण लगानीमैत्री वातावरण बनय नहि सकल दाबी कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन