दिल्ली, भादव १८ । दिल्लीके रामलीला मैंदान पर अनशन कऽ अपन गाँव रालेगण सिद्धि घुरल अन्ना हज़ारेके जेड श्रेणीके सुरक्षा ब्यबस्था देल गेल अछि ।
मुदा अन्ना जेड श्रेणीके सुरक्षा लेबयसँ पहिने किछ शर्त रखने छलथि । हुनकर शर्तमे सुरक्षाकर्मीके बिना हथियार रहयके आ लगातार सँगे नहि रहयके छल ।
अन्नाके सुरक्षामें ४ टा सशस्त्र सुरक्षाकर्मी आ २ टा निजी सुरक्षा अधिकारी चौबीसो घंटा खटल रहत ।
अहिसँ पहिने अन्नाके सुरक्षाक लेल सादा पोशाकमे २ गोटे सशस्त्र पुलिसकर्मीके लगाओलगेल छल ।
No comments:
Post a Comment