इसराइल, भादव १८ । बढ़ैत मंहगाईके लऽ पूरा इसराइलके अलग-अलग शहरमें आइ बिरोध प्रदर्शन कएल गेल अछि । करिब ४ लाख जनता एकेठाम सहभागी भऽ व्यापक विरोध प्रदर्शन केलक अछि ।
तेल अवीवमें सबसँ पैघ रैली निकालल गेल छल जतय २ महीना पहिने विरोध प्रदर्शनके शुरुवात कएल गेल छल । अवीवके अलावा येरूशलम आ आरो कतेकौ शहरमें सेहो प्रदर्शन कएल गेल अछि ।
प्रदर्शनकारीसब सस्ता दाममे घर, करमें कटौती, स्वास्थ्य सुविधा आ आम जनताके निःशुल्क शिक्षा देबयके माँग कऽ रहल अछि ।
No comments:
Post a Comment