Tuesday, October 25, 2011

शान्तिप्रक्रियामे माओवादी आ कांग्रेस बाधकः पोखरेल


८ कात्तिक, झापा । नेकपा एमालेक सचिव शंकर पोखरेल माओवादी आ कांग्रेसक अवरोधक कारण शान्ति प्रक्रियामे उल्लेख्य प्रगति होबय नहि सकल आरोप लगौलनि अछि ।

प्रेस चौतारी नेपाल आइ भिन्सर झापाके दमकमे केने पत्रकार भेटघाटमे बजैतन पोखरेल माओवादी आ कांग्रेस दुनु शान्तिप्रक्रियाके पुरा कऽ संविधानसभासँ समयमे संविधान लिखयके मनसायमे नहि रहल बतौलनि । माओवादी आ कांग्रेस शान्ति प्रक्रियामे अनावश्यक झँझट थापिरहल पोखरलक कहब छलनि ।  माओवादी शान्तिप्रक्रिया अपना कहल जका पुरा नहि हाएत तऽ कार्यकर्तामे निराशा जागत आ कांग्रेसमे शान्तिप्रक्रिया  पुरा हाएत तऽ अपने अस्तित्व  खतरामे परयके त्रासमे रहल हुनक दाबी छलनि ।

अपन अपन असान्दर्भिक अडान त्यागि कऽ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे गम्भीर आ इमान्दार बनय पोखरेलक माओवादी आ कांग्रेस नेतृत्वके सुझाव छल । सचिव पोखरेल राष्ट्रवादक राग अलापयबला प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई भारतके मनाबय दूरगाकी महत्वके विवादास्पद बिप्पा सम्झौतामे हस्ताक्षर केने आरोप लगौलनि । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके अपने पार्टीसँ असफल करयके षड्यन्त्र भऽ रहल पोखरेलक कहब छलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन