१८ कात्तिक, काठमाडौँ । तराईमे भूमिगत सशस्त्र गतिविधि सञ्चालन करैत आएल एक समूहसँग सरकार आइ वार्ता केलक अछि ।
सरकार आ सशस्त्र भूमिगत सञ्जय शर्मा ‘कौटिल्य’ नेतृत्वके तराई जनतान्त्रिक मुक्ति मोर्चाबीच वार्ता भेल अछि । शान्ति मन्त्रालयमे जारी वार्तामे सरकारमे दिससँ शान्ति मन्त्रालयके समेत जिम्मेवारी सम्हारिरहल अर्थमन्त्री वर्षमान पुन आ ओ समूहक वार्ता टोली सहभागी अछि । स्रोतक अनुसार सरकारक दिससँ हिंसात्मक गतिविधि छोडि कऽ शान्तिपूर्ण राजनीतिमे आबय ओ समुहके औपचारिक प्रस्ताव राखलगेल अछि । सरकार वार्तामे आबयबलाके राजनीतिक व्यवहार करयके आ नहि आबयबला बिरुद्ध बल प्रयोगके रणनीति अख्तियार करयके निर्णय केलासँ सशस्त्र समूह धमाधम वार्ताक लेल सम्पर्क कऽ रहल शान्ति मन्त्रालय जनौलक अछि ।
No comments:
Post a Comment