२१ कात्तिक, काठमाडौँ । गृह मन्त्रालयके आयोजनामे पूर्वाञ्चलस्तरीय सुरक्षा भेला आइ सुनसरीमे भऽ रहल अछि । भेलाके उदघाटन उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री विजयकुमार गच्छदारके करबाक कार्यक्रम छन्हि ।
भेला पूर्वीपहाडी तथा तराईके जिल्लासबमे सशस्त्र गतिविधि कऽ रहल भूमिगत समूह विरुद्ध राणनीति बनाबयके विषयमे केन्द्रित रहत बताओल गेल अछि । अहिना सीमावर्ती क्षेत्रसबमे होबयबला भारतीय अपराधीसबहक गतिविधि नियन्त्रण तथा सीमा विवादके विषयमे सेहो बिमर्श हाएत गृह मन्त्रालय जनौलक अछि ।
भेलामे नेपाल सरकार घोषणा केने तत्काल राहत सुधार कार्यक्रमके कार्यान्वयन आ अनुगमनके विषयमे समेत बिमर्श हाएत बताओल गेल अछि । भेलामे गृहसचिव सुशीलजंग राणा, नेपाल प्रहरीके कार्यवाहक महानिरीक्षक नरेश गुरुङ, कार्यवाहक सशस्त्र प्रहरी महानिरीक्षक कोषराज पन्त, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक निमित्त मुख्य अनुसन्धान अधिकृत जितबहादुर केसी, क्षेत्रीय प्रशासक, पूर्वक्षेत्रीय प्रहरी कार्यालयके प्रमुख, पूर्वाञ्चलके १६ हु जिल्लाके प्रमुख जिल्ला अधिकारी, जिल्लास्थित नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ राष्ट्रिय अनुसन्धान विभागक प्रमुखसबहक सहभागिता रहत ।
भेलामे जिल्लास्थित सुरक्षा प्रमुखसब जिल्लाके सुरक्षाक वस्तुस्थिति आ भावी रणनीतिके बारेमे रिपोर्ट पेश करत । वायह रिपोर्टके आधारमे भावी सुरक्षा रणनीति बनाओल जाएत बताओल गेल अछि । अहिसँ आगु मध्यमाञ्चल क्षेत्रीय सुरक्षा भेला बितल १७ कात्तिकमे वीरगञ्जमे भेल छल ।
No comments:
Post a Comment