Sunday, November 13, 2011

अपहरणमे परल युवकके हत्या


सर्लाही, कार्तिक २७ । ९ दिन आगुसँ अज्ञात समूहद्वारा अपहरणमे परल सर्लाही शंकरपुर गाविस७ के २८ बर्षक विजय रायके  आइ हत्या भेल अछि ।

हत्या कऽ क सिमावर्ती त्रिभुवननगर गाविसके दसगजा लग फेकल अवस्थामे आइ दुपहर पुलिस शवके बरामद केलक अछि ।

मोटरसाइकलमे घर जातिकाल औरही गाविसके ढ्यांग्रा खोला लग १९ गते राति ५/६ गोटेके समूह रायके अपहरण केने छल । डाँरमे एक गोली लागल आ घेउँट दबा कऽ मारने अवस्थामे भेटल रायके शवके ओकर परिवार सनाखत केने प्रहरी उपरीक्षक मोहनराज जोशी बतौलनि ।

पुलिसक अनुसार भारतदिस हत्या कऽ क शव नेपाल दिस दशगजा सँ करिब १० फिट एम्हर फेकल गेल छल। शवसँगै अपहरणकारी हत्या करयके कारण खुला कऽ पत्र सेहो छोडने छल ।

अपह्रिरत प्रशासनके सहयोग लेलासँ हत्या कएलगेल पत्रमे उल्लेख रहल जोशी बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन