Sunday, November 13, 2011

रासायनिक खादके मूल्य बढाबयके कृषिमन्त्रीक खुलासा


इनरुवा, कार्तिक २७ । किसानसबहक लेल अत्याबश्यक रासायनिक खादमे मोल सरकार बढाबयके तयारी केलक अछि ।

किसानके आबश्यक पाँचलाख मेट्रिक टन रसायनिक खादक अभाव रहितो बैकल्पिक व्यवस्था करय नहि सकल सरकार रासायनिक खादके मोलमे बृद्धि करयके तयारी केलक अछि । किछुए दिन भितरे सरकार रासायनिक खादके मोल बृद्धि करयके तयारी केने कृषि तथा सहकारी मन्त्री नन्दन कुमार दत्त जानकारी देलनि ।

सुनसरी सदरमुकाम इनरुवामे आइ भिन्सर सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत मन्त्री दत्त भारतीय बजारमे सेहो किछ  दिन एम्हर रासायनिक खादके अभाव भऽ रहलासँ भारतदिस रहल मोले बराबरके मोल रखलासँ नेपाली वजारसँ भारतदिस तस्करी होबयके सम्भावना रहलासँ सरकार किछ मोल बढाबय लागल जानकारी देलनि ।

किसानसबके अखन करिव सात लाख मेट्रिक टन खादके आवश्यकता रहलासँ भारत सहित अन्य देशसँ दु लाख मेट्रिक टन मात्रे आयात भऽ रहलासँ पाँच लाख मेट्रिक टन खादके अखनो नेपालमे अभाव रहल मन्त्री दत्त बतौलनि ।

मन्त्री दत्त रासायनिक खादके बिकल्पमे अर्गानिक खादके उत्पादन सुरु करयके निर्णय मन्त्रिपरिषदसँ भेल जानकारी दैत अर्गानिक खादके उत्पादन करयके निजी क्षेत्रके सरकार अनुदान उपलब्ध कराओत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन