बैतडी, अगहन १९ । काँग्रेसक नेता शेरबहादुर देउवा आब बनयबला सरकार कांग्रेसक नेतृत्वमे गठन हाएत आ ओकर नेतृत्व अपने करब दावी कएलनि अछि ।
प्रेस यूनियन बैतडी आइ भिन्सर पाटनमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाटमे देउवा कहलनि जे, 'सहमतीय सरकारक नेतृत्व हम करब ।'
सरकारक नेतृत्वके लेल पार्टीक केन्द्रीय समिति निर्णय कऽ चुकल सेहो ओ खुलासा कएलनि । ‘केन्द्रीय समिति हमरा उम्मेदवार बनाबयके निर्णय कऽ चुकल अछि ’ देउवा कहलनि, ‘दलसबबीच सहमतिके वातावरण देखल गेलासँ आबके प्रधानमन्त्री हम बनब।’
माओवादी शिविरमे लडाकु संख्या बढौने आरोप लगबैत नेता देउवा फर्जी लडाकु देखौनाइ दुःखद बात रहल बतौलनि । ओ बढाओलगेल लडाकु फिर्ता कऽ क माओवादीके जिम्मेवार पार्टी बनय सुझाब सेहो देलनि । माओवादी कब्जा केने घरजमिन फिर्ता करयके निर्णय करितो उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष बिरोध केलासँ शंकाके बिषय भेल हुनक कहब छलनि ।
शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि होबयधरि संविधान नहि बनत बतबैत देउवा सर्वोच्च अदालत अन्तिम बेर संविधान सभाक ६ महिना समय बढाबय समय देलासँ सब दलके मिल कऽ जेठ भितरमे संविधान घोषणा करय परत बतौलनि ।
काँग्रेस सभापति सुशील कोइराला बेर बेर अपनासँग भेल सहमति तोडि कऽ निरंकुश होबय चाहने आरोप लगबैत देउवा भातृ संगठन बिघटन कऽ क निरंकुशता देखौने आरोप सेहो लगौलनि ।
No comments:
Post a Comment