Tuesday, January 10, 2012

पुलिस तीन गोटेके गिरफ्तार केलक


२६ पुष हजारीबाग, झारखंड । कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी आ दिल्ली पुलिस आयुक्त बीके गुप्ताके हालमें एक धमकी सहितक ई-मेल पठौने कहैत पुलिस  तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

हजारीबागके पुलिस अधीक्षक पंकज कंबोज कहलनि जे कांग्रेस अध्यक्ष आ दिल्ली पुलिस आयुक्तके धमकी सँ भरल एकटा ई-मेल प्राप्त भेल दिल्ली पुलिसस जानकारी मिललाबाद पुलिसके टीम कोरा क्षेत्रमें एकटा साइबर कैफ़े पर छापा मारि कऽ तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।


साइबर कैफ़ेके हार्ड डिस्क आ नेटवर्किंग सिस्टम नियन्त्रणमे लेल गेल ओ जानकारी दैत कहलनि जे अहिके बिषयमे अखन अनुसन्धान भऽ रहलासँ बिस्तृत जानकारी देनाइ अखन ठिक नहि हाएत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन