Thursday, December 15, 2011

बैद्य प्रधानमन्त्री भट्टराईके हटावयके प्रस्ताव लऽ जेताह


२९ अगहन काठमाण्डौ । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण आगामी केन्द्रीय कमिटिक बैसारमे प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराईके हटावयके प्रस्ताव लऽ जाएब बतौलनि अछि ।

रिपोर्टर्स देने अन्तर्वार्तामे उपाध्यक्ष बैद्य प्रधानमन्त्री भट्टराईके नेतृत्वमे काग्रेस आ एमाले सहभागी भऽ  सहमतिके सरकार बनयके सम्भावना नहि रहलासँ प्रधानमन्त्रीके हटावयके प्रस्ताव केन्द्रीय कमिटिमे लऽ जाएके तयारी केने बतौलनि अछि । आगामी सहमतिके सरकारक नेतृत्व महासचिव रामबहादुर थापा करत दावी करैत अहि विषयमे अध्यक्ष प्रचण्डसँग सहमति भऽ चुकल आ आगामि पदाधिकारी, स्थायी समिति आ केन्द्रीय कमिटिक बैसारमे एहन प्रस्ताव उपर बिमर्श हाएत बतौलनि ।

उपाध्यक्ष बैद्य भट्टराई नेतृत्वक सरकार केने राष्ट्रघाती विप्पा सम्झौता आगामि केन्द्रीय कमिटिक बैसारसँ अस्विकार करयके दावी करैत मधेसी मोर्चासँग भेल ४ बुँदे सम्झौता सच्याबके या खारेज कऽ क आगु बढयके धारणा रखलनि । बाहर आएल जका अपनाके पदके लोभ नहि रहल  स्पष्ट करैत अपने कार्यबाहक अध्यक्ष नहि बनब सेहो ओ बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन