२१ अगहन गुजरात । गुजरातमें अवैध दारु बनाबयबलाके फाँसी क सजाय भेटत आ अहि बिलके राज्यपाल कमला मंजूरी सेहो दऽ देने अछि ।
गुजरातमें अवैध दारु बनाबयके दोषी भेटत तऽ फाँसी के सजाय देबयके प्रस्ताव वला एक विधेयकके गुजरातके राज्यपाल कमला मंजूरी देलिह अछि ।
राज्यपाल बम्बई निषेध विधेयक, 2009 के मंजूरी देलक अछि । जाहिसँ राज्यमें दारु पर प्रतिबंधके कानून आओर कडा भऽ जाएत । गुजरातमे स्वतंत्रताके बादो दारु पर निषेध कएलगेल अछि ।
गुजरातमें मिलावटी दारुके घटनाके बाद इ विधेयक लाओल गेल छल । जुलाई, 2009 में मिलावटी दारु पिलासँ १३० सँ बेसी गोटेके मृत्यु भऽ गेल छल ।
No comments:
Post a Comment