Saturday, December 03, 2011

मोटरसाइकल दुर्घटनामे एक युवकके मृत्यु


१७ अगहन, काठमाडौँ । राजधानीमे बितलराति भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे एक युवकके मृत्यु भेल अछि ।

स्वयम्भूस्थित सानो भर्‍याङमे राति आठ बजेके समयमे बा ४३ प ३६३८ आ बा ६ प ४९४४ नम्बरक मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकराएलासँ नुवाकोटके २२ वर्षक मनोज विकके मृत्यु भेल अछि । महानगरीय ट्राफिक प्रहरी महाशाखाके अनुसार दुर्घटनामे गम्भीर घाइल विकके बालाजुस्थित जनमैत्री अस्पतालमे इलाजक  क्रममे मृत्यु भेल अछि । सामान्य घाइल भेल दोसर मोटरसाइकल चालकके सामान्य इलाजक बाद पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन