Saturday, December 03, 2011

'राज्य कोषके पैसा माओवादीके फिर्ता करय परत'ः सिंह


काभ्रे, अगहन १७ । नेपाली काँग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह शिवीरमे कहियो रहबे नहि कएल लडाकु संख्या देखा कऽ माओवादी राज्य कोषके पैसा दुरुपयोग केने आरोप लगबैत दुरुपयोग केने पैसा माओवादीके फिर्ता करय परत बतौलनि अछि । दुरुपयोग केने राज्यके कोषके माओवादी फिर्ता नहि करत तऽ जनता माओवादी नेतृत्वबारे सोचय बाध्य हाएत ओ  चेतावनी देलनि । 

बनेपामे आयोजित ज्योति बहुउद्धेश्यीय सहकारी संस्थाक १२ हम् साधारण सभाक उदघाटन करैत आइ  महामन्त्री सिंह नेपाली काँग्रेस माओवादी दुरुपयोग केने पैसाके एकएक हिसाब किताब जनतामे नहि देत तऽ चुप लागि कऽ  नहि बैसब खुलासा कएलनि ।

'अनमिनके ठकैत माओवादी वितल ५ वर्षसँ शिविरमे रहबे नहि कएल लडाकुके संख्या देखा कऽ जनताके करसँ संकलित राज्य कोषके पैसा दुरुपयोग कऽ रहल खुलासा करैत ओ कहलनि जे आब ओ दुरुपयोग केने पैसा फिर्ता करय परत । अन्यथा माओवादी नेतृत्वबारेमे सोचय नेपाली जनता बाध्य हाएत ।'

माओवादी विगतमे भेल सम्झौतासबके अक्षरस पालना करत तखने शान्ति प्रक्रिया आगु बढ्य सकत कहैत ओ माओवादीके विगतके सम्झौतासबके इमान्दारीताके साथ पालना करय आग्रह कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन