इनरुवा, पुस ८ । कर्मचारी संघ/संगठनसब आइ सुनसरीके सम्पूर्ण सरकारी कार्यालय बन्द करौलक अछि । एकगोटे कर्मचारीके गिरफ्तार केने बिरोधमे कर्मचारीसब आन्दोलित भेल अछि ।
भारतक आसाम आ नागाल्याण्ड क्षेत्रमे पृथकतावादी आन्दोलन कऽ रहल निरन्जन होजाईके नेपाली नागरिकताके लेल सिफारिस केने अभियोगमे माटि विज्ञ नानुलाल उराउके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि । उराउके गिरफ्तारके बिरोध कर्मचारी संघ/संगठन केलक अछि । होजाई धरान-८ ठेगाना देखाकऽ सुनसरी प्रशासनसँ नागरिकता लेने अछि ।
No comments:
Post a Comment