Friday, December 23, 2011

माओवादी नहि फुटत प्रचण्डक दाबी


८ पुस, चितवन । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड पार्टीमे हाल जारी विवादसँ कोनो हातलमे पार्टी नहि फुटयके दाबी कएलनि अछि ।

चितवनके नारायणगढमे आइ कार्यकर्ताहरुसँग भेल भेटमे प्रचण्ड पार्टी नहि फुटत ताहिमे निश्चिन्त रहय कहैत विवाद महाधिवेशनमे लऽ जाऽ क निर्णय कएल जाएत बतौलनि । अपने पाटीके एकजुट बना कऽ लऽ जाए प्रयासरत रहल प्रचण्डक कहब रहल एक कार्यकर्ता जानकारी देलनि  । काल्हिसँ सुरु होवयबला केन्द्रीय समिति बैसारसँ शान्ति आ संविधानके विषयमे रहल विवादके अन्त्य करय जका अपने दस्तावेज पेस करयके तयारी केने हुनक कहब छलनि ।

केन्द्रीय समितिमे निर्णय होवय नहि सकल विषयके महाअधिवेशनसँ निर्णय कएल जाएत ओ बतौलनि ।

अध्यक्ष प्रचण्ड नेपाल जेसिसके ३८ हम् राष्ट्रिय महाधिवेशन उद्घाटनके लेल चितवन पहुँचल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन