Tuesday, January 10, 2012

हतियार सहित ४ गोटे गिरफ्तार


रौतहट, पुस २६ । ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुर रौतहटके टोली दु थान अबैध हतियार सहित ४ गोटेके बितल साँझ गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्लाके गम्हरिया पर्सा गाबिस-२ के सेख मुस्लिम, बसबिट्टी जिङ्गडिया गाबिस-६ के देबनारायण साह, कर्कच कर्मैया गाबिस-२ के बिन्देश्वर पासवान आ माधोपुर गाबिस-१ के रबिन्द्रप्रसाद साहके २ थान अबैध नलकटुवा पेस्तोल आ दु राउण्ड गोली सहित ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुरके टोली गिरफ्तार केने प्रहरी उपरीक्षक ठुले राई जानकारी देलनि ।

गम्हरिया पर्सा स्थित एक घरमे हत्याको योजना बना रहल अबस्थामे सुराकिके आधारमे पुलिस चारु गोटेके गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन