काठमाडौ, वैशाख २९ । राहदानी दुरुपयोगक विषयमे मुद्दा चलाओलगेल सभासदसभ आ कर्मचारी उपर आइ विशेष अदालतमे सुनुवाई भऽ रहल अछि ।
विशेष अदालतमे प्रारम्भिक सुनुवाईके बाद थुनछेक बहस हाएत । राहदानी बेच्ने अभियोगमे मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक सभासद वीपी यादव आ नेपाली जनता दलक सभासद गायत्री साह विरुद्ध काल्हि विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएल गेल छल । अहिना अख्तियार अध्यागमन विभागक प्रमुख खडानन्द ढकाल शाखा अधिकृतसभ भूमिनन्द भण्डारी आ श्यामबाबु भण्डारी कम्युटर अधिकृत इन्द्रकुमार सुनुवार वरिष्ठ अधिकृत देवीदत्त खत्री सन्तोष उप्रेती आ हरिचरण साहविरुद्ध सेहो मुद्दा दायर केने अछि । अख्तियार भ्रष्टाचार निवारण ऐन २०५९ के दफा बमोजिम मुद्दा दायर केने अछि । विशेष अदालतमे मुद्दा दायरसँगै अभियुक्त सभासदसभ साह आ यादव सभासद पद सँ निलम्बनमे परल छलथि ।
No comments:
Post a Comment