काठमाडौ, वैशाख २९ । सर्वसाधारणके मौलिक हक हनन होबय जँका बन्द हडतालके आयोजना केने कहैत बेलायती सहयोग नियोग जनजाति महासंघके दैत आएल करिब ११ करोड रुपैयाँके सहयोग रोक्का केलक अछि ।
नियोग बितल साँझ महासंघक अध्यक्ष राजकुमार लेखीके पठौने पत्रमे सहयोग रोकल गेल उल्लेख अछि ।
महासंघ जेठ १४ भितरे संविधान बनाबय परत कहैत काल्हि शुक्रदिन नेपाल बन्दके घोषणा केलाबाद नियोग मानव अधिकार हनन होबयबला गतिविधिमे संलग्न रहल कहैत सहयोग रोकने अछि ।
नियोग पत्रमे महासंघ करय लागल बन्दके कारण आब सँ कोनो सहयोग उपलब्ध नहि कराबयके उल्लेख अछि ।
No comments:
Post a Comment