काठमाडौ, वैशाख २९ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल अपन मिसन पूरा केने बिना राजीनामा नहि देब बतौलनि अछि ।
ओ शान्ति आ संविधानके निश्चित मिसन लऽ कऽ सरकारमे अएला सँ जिम्मेवारी पूरा केने बिना अपने नहि हटब सेहो बतौलनि अछि । टर्कीके अपन भ्रमण छोट कऽ आइए स्वदेश घुरल प्रधानमन्त्री खनाल त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे संचारकर्मीसँग बातचित करैत सरकार अपन दायित्व पूरा करय दृढ रहल बतौलनि । बाजयके अधिकार सबके रहल कहैत प्रधानमन्त्री अपन राजीनामा माँगयबलासभ सेहो वायह अधिकार प्रयोग केने टिप्पणी केलनि ।
संविधानसभाके म्याद बढाबय सँ पूर्व प्रधानमन्त्री खनालके राजीनामा देबय लेल काङ्ग्रेस आ एमालेक किछ नेतासभ कहि रहल समय खनाल लोकतन्त्रमे अनेक खालके टिका टिप्पणी एनाइ लोकतन्त्रकै सुन्दरता रहल बतौलनि ।
राष्ट्रसङ्घ सम्वद्ध विश्वके बहुत कम विकसित ४८ देशसभहक सङ्गठन एलडीसी के टर्कीके स्तानबुलमे जारी चारिम विश्व शिखर सम्मेलनमे भाग लेबय प्रधानमन्त्री खनाल बितल शुक्रदिन ओइदिस प्रस्थान कएने छलथि ।
No comments:
Post a Comment