Saturday, September 03, 2011

नयाँ सरकार शान्ति आ संविधान बनाबय नहि सकतः खनाल


१७ भादव, काठमाडौं । नेकपा एमालेक अध्यक्ष तथा निवर्तमान प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल नयाँ सरकार शान्ति आ संविधान निर्माण करत ताहिमे अपन पार्टी विश्वस्त नहि रहल बतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रमे अध्यक्ष खनाल वर्तमान सरकार सेहो बहुमतके आधारमे  बनलासँ शान्ति आ संविधान निर्माण करय नहि सकत बतौलनि । ओ सरकार शान्ति आ संविधानके निश्कर्षमे पहुँचाबय लागि परत त एमाले सहयोगी भूमिका निर्वाह करत बतौलनि । माओवादी आ काँग्रेस प्रधानमन्त्री पदके महत्व देलासँ अपन नेतृत्वके सरकार शान्ति प्रक्रिया पूरा करय नहि सकल हुनक कहब छलनि ।

ओ शान्ति प्रक्रिया पूरा करय सेना समायोजनके ढाँचा, सङ्ख्या, मापदण्ड, दर्जा आ पुनस्र्थापनाके प्याकेजमे सहमति भेनाइ आवश्यक रहल कहैत खनाल दलसब चाहत त एक हप्तामे इ सब विषयके निश्कर्षमे पहुँचाबयके स्थितिमे अपने आनिकऽ रखने उल्लेख कएलनि ।

संविधान जारी करय नहि दऽक संविधानसभाके विघटन करयके षड्यन्त्र भऽरहल आरोप लगबैत ओ कार्यभार पूरा नहि कऽ संविधानसभा विघटन हाएत त देशके एकता सेहो खण्डित हाएत दाबी कएलनि । एमाले अध्यक्ष खनाल संविधान जारी करय हाल थप कएलगेल तीन महिनाके समय सेहो कम भेलासँ पुनः तीन महिना थपयमे जोड देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन