१७ पुष काठमाण्डौ । नेपाली काँग्रेसक नेता डा रामशरण महत काँग्रेस तत्काल प्रधानमन्त्री बदलयके मुडमे नहि रहल वतौलनि अछि ।
प्रधानमन्त्री बदलयके एजेन्डा काँग्रेसके नहि रहितो शान्ति आ संविधान निर्माण प्रक्रियाके आगु वढावय नहि सकत तऽ सरकारक विकल्प खोजय काँग्रेस बाध्य हाइत नेता महतके कहब छलनि ।
नेपाल प्रेस युनियन कास्की पोखरामे आइ आयोजना केने पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे नेता महत सातबुँदे सम्झौता अनुसार एकिकृत माओवादी इमान्दारिता नहि देखौने आरोप लगौलनि । ओ शान्ति प्रक्रिया बाँकी रहल विषय बिना पुरा केने संविधान घोषणा करत तऽ ओइसँ देशमे पैघ खतरा उत्पन्न हाएत वतौलनि ।
महत शान्ति प्रक्रिया इमान्दारीपूर्वक आगु बढत तऽ एकीकृत नेकपा माओवादीसँग सहकार्य सम्भव रहल सेहो वतौलनि । महत एकिकृत माओवादीके शिविरमे रहल लडाकुके पुनःस्र्थापना आ समायोजन, हतियारक व्यवस्थापन आ कब्जा कएलगेल सम्पत्ति फिर्ता नहि करत तऽ माओवादीसँग सहकार्य करय नहि सकयके जिकिर कएलनि ।
एक महिनासँ माओवादीके लडाकुके पुनःस्थापना, स्वेच्छिक अवकास आ समायोजनके विषयमे कोनो प्रगति नहि भेल शिकायत करैत ओ कहलनि जे देशके लेल अनुकुल, समानुकूल आ टिकयबला सङ्घीयताके स्वरुप बनावय परत ।
No comments:
Post a Comment