५ कातिक झापा । झापाके विर्तामोडसँ दु थान कटुवा पेस्तोल आ ओइमे लागयबला सात थान गोली सहित पुलिस सात गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
बितलराति गिरफ्तार होबयबलामे भारत नक्सलबाडीके अवदुल हक , किभेन सिंह कुमार महत्तो , अमातु महमद , वामी सरकार आ अनारमनी १ निवासी महिर मिया तथा काकँरभिट्टाके खुस महमद रहल अछि । ओकरासबके चारपाने ३ निवासी तुलसी गौतमके घरमे लुटपाट कऽ क भागयके क्रममे पुलिस गिरफ्तार केने इलाका प्रहरी कार्यलय विर्तामोड जनौलक अछि ।
गिरफ्तार भेल सातो गोटेके इलाका प्रहरी कार्यलय विर्तामोडमे राखलगेल आ घटना बारे थप अनुसन्धान भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।
No comments:
Post a Comment