मर्दके सात गो कनिया कहाबत गाउँदिस अखनो चर्चित अछी मुदा चिनके एक पुरुष महामर्द साबित भेलाह अछि । कारण जे हुनका ३९ टा कनिया आ ९४ टा बेटा बेटी छन्हि । ओतबे नहि कि ओ ३३ टा पोतापोती आ १४ टा बेटी जमाए कऽ क जम्मा जम्मी १ सय ८० गोटेके परिवार सँगे मिलजुलि कऽ रहैत छथि । इ परिवार विश्वके सबसँ पैघ परिवारक रुपमे गिनिज बुकमे नाम सेहो लिखौने अछि ।
ऐतेक बहुत बेसी जनसंख्या भेल इ परिवार १ सय कोठली रहल ४ तल्लाके घरमे रहैत अछि । ६७ वर्षक जिओना चाना बहुते पत्नीके पति आ बहुते बेटाबेटीके बाबु बनय पौलासँ एकदमे खुश छथि । ओ सबसँ पहिने बियाह केने कनियाके उमेर ६९ वर्ष अछि तऽ सबसँ पाछु केने कनियाके उमेर ३० वर्ष अछि ।
ऐतेक बेसी सदस्य रहल परिवारमे सैनिक ब्यारेकमे जेहन अनुसासन कायम अछि । ६९ वर्षक जेठ पत्नी जाथियांगी ककरा कि करयके , कुन पत्नीके सरसफाइ करयके, कपडा धोबयके तथा खाना पकाबयके अछि से कार्यतालिका बनबैत छथि ।
परिवारक सब सदस्यके लेल खाना पकेनाइ मामुली बात नहि अछि । एके छाकमे ६० किलो अलु, एक क्विन्टल चाउर आ ६० टा मुर्गाके माउस पकाबय परैत अछि । इ परिवार वास्तबमे एकटा गाम जका लगैत अछि । परिवारक लेल अलगे स्कुल, खेलमैदान, सुँगुर फार्म, मुर्गा फार्म आ तरकारी बारी अछि ।
ओना तऽ महिलासब सौतिन बर्दाश्त नहि करैत अछि मुदा अहि परिवारमे ३९ गोटे महिला एक दोसरके सौतिन होइतो मिल कऽ रहैत अछि । पतिसँ के सुतत बिषयमे सेहो निश्चित कार्यतालिका होइत अछि आ फेराफेरी ओसब पतिसँग सुतैत अछि आ कहियो काल तऽ एके रातिमे दु गोटाके मौका अबैत अछि । मुदा कम उमेरके पत्नीसँग बेसी राति बितबैत छथि जिओना ।
उमेरसँ बृद्ध भेलाबादो ओ अखनो अपने बियाह करयसँ नहि थाकल आ लडकी मिलत तऽ आरो बियाह करयके इच्छा रहल बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment