५ कात्तिक, नयाँदिल्ली । भारतीय गृहमन्त्री पी चितम्बरम नेपाल आ भातर एक दोसर विरुद्ध अपन भूमि प्रयोग करय नहि देबयमे सचेत रहय परतमे जोड देलनि अछि ।
भारतक ४ दिना औपचारिक भ्रमणमे रहल प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईसँगके भेटमे चितम्बरम एहन बतौलक अछि । चितम्बरम प्रधानमन्त्री भट्टराईसँ भेटय आइ भिन्सर नयाँदिल्लीके चाणक्यपुरीस्थित होटल लीला प्यालेस पहुँचल छलथि । दु देशबीचक सीमा व्यवस्थापन होबय नहि सकलासँ ओइसँ दुनु दिसक सुरक्षामे खडा केने चुतौती हटाबय गम्भीर होबय परत चितम्बरक कहब छलनि । नेपालक लेल भारतीय राजदूत जयन्त प्रसाद भेटमे चितम्बरम सीमा समस्या, अपराध नियन्त्रण, सुपूर्दगी सन्धि आ नेपालक अन्र्तराष्ट्रिय विमान स्थलमे भारतीय एयर मार्सल राखयके विषय रखने जानकारी देलनि ।
जवाफमे प्रधानमन्त्री भट्टराई चीन आ भारत दुनु पडोसी राष्ट्रविरुद्ध नेपाली भूमि प्रयोग होबय नहि देबयके प्रतिबद्धता जनौने छलथि ।
No comments:
Post a Comment