गोरखा, अगहन २८ । संविधानसभाक निर्वाचनमे विजयी भेलाबाद मासिक जिल्ला आवयके बचन देने प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ गोरखा पहुँचल छथि ।
नियमित कार्यक्रम अनुसार भट्टराइ ४७ हम् बेर गोरखा पहुँचल छथि । ओ आइए काठमाडौं घुरताह । ओइसँ आगु प्रधानमन्त्री भट्टराई गोरखाके घ्याल्चोक गाविसमे आयोजित जनसभाके सम्बोधन करताह स्वकीय सचिव फडिन्द्र देवकोटा बतौलनि ।
देकोटाक अनुसार वायह गाविसमे कर्मचारी भोटघाट तथा निर्देशन, कार्यकर्ता भेटघाट, स्थानिय सुकुम्वासी बस्ती निरिक्षण, विकास निर्माणक लेल डेलिगेशनके टोलीसंग भेटघाट आ पत्रकार सम्मलेन सहितक कार्यक्रम अछि ।
प्रधानमन्त्री भट्टराईके बेरियाक तीन बजे काठमाण्डौ घुरबाक कार्यक्रम तय भेल अछि ।
No comments:
Post a Comment