Wednesday, December 14, 2011

अन्ना हजारे कहलनि हमरा मरयके डर नहि अछि


२८ अगहन दिल्ली । भ्रष्टाचारके खिलाफ लड़ि रहल समाजसेवी अन्ना हजारे  आइ कहलन्हि जे हुनका मरयके डर नहि छन्हि आ  ओ अंत तक मजबूत लोकपालके लेल लडैत रहताह ।

दिल्लीके जंगपुरामें बैसारसँ पहिने जानके खतरा के बिषयमे पुछलगेल  प्रश्नक जवाफमे ओ कहलनि जे हमरा जानके डर नहि अछि । भगत सिंह सेहो कहियो सुरक्षा नहि लेने रहथि ।"

गोप्य श्रोतक अनुसार अन्ना हजारेके जानके खतरा रहल बताओल गेल अछि आ अन्नाके एड्सस प्रभावित सुई भोँकल जाऽ सकैय । इ सुई  भीड़-भाड़ वाला ठाममे भोँकल जाऽ सकयके अनुमान कएलगेल अछि ।

हजारे अहिके बाद तृणमूल कांग्रेस प्रमुख ममता बेनर्जी सँ अनुरोध केलनि जे कि ओ लोकपालके बिषयमे यूपीए सरकार पर ओहने दबाव बनाबए जेहन ओ FDI के बिषय पर बनौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन