Sunday, December 11, 2011

कार्यतालिका अनुसारे काज करय नेतासब सहमत


२५ अगहन, काठमाडौँ । संविधानसभामे प्रतिनिधत्व कएनिहार दलक नेतासब संविधान लेखनके कार्यतालिका प्रभावित नहि होबय जका काज आगु  बढाबय दलसब सहमत भेल अछि ।

संवैधानिक समितिके आजुक बैसारमे दलसब कार्यतालिका अनुसारे काज सम्पन्न करय तयार रहल  नेतासब बतौलक अछि । सिंहदरबारस्थित समितिक कार्यालयमे भिन्सर किछकाल बैसल बैसारमे मौलिक अधिकार तथा राज्यके निर्देशक सिद्धान्त समितिक प्रतिवेदनमे संविधानसभासँ आएल सुझावके बारेमे बिमर्श भेल सदस्य लक्ष्मणलाल कर्ण जानकारी देलनि । कर्णके अनुसार प्रतिवेदन उपर सामान्य बिमर्श कऽ एकीकृत मस्यौदा तयार करय लेल सचिवालयके जिम्मा देलगेल अछि ।

बैसारमे संधिवान निर्माणक क्रममे हालधरि भेल प्रगतिके समिक्षा आ भावी कामके विषयमे समेत सामान्य बिमर्श होइतो निष्कर्ष आबय नहि सकल कर्ण बतौलनि । बैसारसँ विवाद समाधान उपसमिति संयोजक माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डक दिससँ आगामी २८ गते बैसयबला अगिला बैसारमे विवादित विषयमे जुटल सहमतिके विवरण समेटल प्रतिवेदन प्रस्तुत करयके निर्णय समेत केलक अछि । संविधानसभाक कार्यकाल चारिम बेर बढबितो दलसबबीच अखनो राज्यपुनसंरचनाके २५ आ शासकीय स्वरुप तथा निर्वाचन प्रणालीमे २२ टा विषयमे अखनो  विवाद अछि ।

राज्यपुनर्संरचना सम्बन्धी विवादके हल करय दु महिनामे प्रतिवेदन देबय जका आयोग गठन कएलगेल अछि तऽ शासकीय रुवरुप आ निर्वाचन प्रणालीमे रहल विवाद आगामी पुस १५ गते आगुए समाधान करयके प्रयासमे दलसबबीच नियमति बिमर्श होइत आएल अछि । समिति प्रतिवेदन बुझौलाबाद माँग १५ गते धरिमे राज्यपुनर्संरचना सहितक भावी संविधानके पहिल एकीकृत मस्यौदा जारी करयके कार्यतालिका संविधानसभासँ पारित कऽ चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन