२५ अगहन, काठमाडौँ । संजुहाङ पालु्ङ्वा नेतृत्वक संघीय लिम्बुवान राज्य परिषद आहृवान केने अनिश्चितकालीन बन्दक पहिल दिन आइ भिन्सरेसँ अरुण पूर्वके ९ जिल्लाक जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।
बन्दकर्तासब सुनसरीके इटहरी आ धरान तथा झापाके दमक सहितक स्थानमे भिन्सरेसँ विरोध प्रर्दशन करयके सँगहि सडकके चोकचोकमे जम्मा भऽ यातायात सञ्चालनमे रोक लगौने अछि । बन्दसँ पूर्वपश्चिम महेन्द्र राजमार्गके काँकडभिट्टा-इनरुवा खण्डमे यातायातके साधनसब चलय नहि सकल अछि । ओइके अलावा मोरङ, सुनसरी, झापा, इलाम, धनकुटा, ताप्लेजुङ आ संखुवासभा सहितक जिल्लामे सेहो यातायात, बजार-दोकान, शिक्षणसंस्था आ कलकारखाना ठप्प अछि ।
यातायात नहि चललासँ सर्वसाधारणसबके दिक्कतके सामना करय परि रहल अछि त अत्यावश्यक सेवाके एम्बुलेन्स, बारुणयन्त्र, प्रेस, परीक्षाके विद्यार्थी तथा वियाहके बरियाती सवार गाडी निर्वाध रुपमे सञ्चालनमे रहल अछि । सरकारसँग अहिसँ आगु भेल सहमित अनुसार राज्यपुनर्संरचना आयोगमे अपन प्रतिनिधि नहि रखने कहैत परिषद ओइके विरुध स्वरुप अनिश्चितकालीन बन्दक आहवान केने अछि ।
अहिसँ आगु सरकार आ परिषदबीच बितल २०६४ चैतमे भेल सहमति अनुसार राज्यपुनर्संचना आयोगमे प्रतिनिधित्व नहि कराओलगेल विरोधमे आम हड्तालक आहृवान कएलगेल परिषद्क सुनरी अध्यक्ष भुपेन्द्र सुन्दर लावती जानकारी देलनि ।
No comments:
Post a Comment