१७ पुष काठमाण्डौ । कांग्रेस केन्द्रीय सदस्य शेखर कोइराला शान्ति प्रक्रिया बिना पुरा केने सविधान नहि बनत बतौलनि अछि ।
'शान्ति प्रक्रिया पुरा करयके सँविधान नहि बनत तऽ नहि बनोअ ,' प्रेस युनियन उदयपुर आइ गाईघाटमे केने पत्रकार सम्मेलनमे ओ कहलनि जे, 'शान्ति प्रक्रिया बिना पुरा केने सविधान निर्माण कऽ क फेउर बन्दुकके भरमे चुनाव जितयके दाउमे माओवादी लागल अछि ।' ओ माओवादी शान्ति प्रक्रियाके जहिनाके तहिना राखि कऽ संविधान बनावयके दाउमे रहल बतौलनि ।
कोइराला कांग्रेसके चाहितेमे सरकार परिवर्तन नहि हाएत उल्लेख कएलनि । 'सरकार परिवर्तन करयके क्षमता काँग्रेसमे नहि अछि,' अपनेसब सरकारक विकल्प खोजयके पक्षमे सेहो नहि रहल बतबैत ओ कहलनि शान्ति प्रक्रिया माओवादी नेतृत्वमे, संविधान आ चुनावी सरकारक नेतृत्व कांग्रेसके भेटयके चाही बतौलनि ।
कोइराला कांग्रेस भितरके विवाद भ्रातृ संगठन विघटनके विवादसँ मात्रे नहि भेल जिकिर कएलनि । 'कांग्रेसके विवाद भ्रातृ संगठन विघटनके कारण मात्रे नहि भऽ इ झगडा भावी नेतृत्व के करत बिषयमे सेहो रहल स्पष्ट केलनि ।'
No comments:
Post a Comment