ग्रीस १८ आसिन । ग्रीसके सब सँ बड़का ट्रेड यूनियन एयर ट्रैफ़िक कंट्रोलर्स बिलत महिना सरकारके दिस सँ घोषणा भेल कटौतीके विरुद्ध २४ घंटे आम हड़ताल शुरू केलक अछि ।
एयर ट्रैफ़िक कंट्रोलर्सके हड़तालके कारण ग्रीससँ जाए बला आ आबयबला सब उड़ान रद्द कएल गेल अछि ।
सरकारी आ निजी दुनु क्षेत्रके कर्मचारी अहि हड़तालमें सहभागी भऽ रहल बताओल जाऽ रहल अछि । सार्वजनिक यातायात सेहो बन्द रहयके आशंका कएल जाऽ रहल अछि तऽ स्कूल बंद अछि आ अस्पतालमे सिर्फ़ इमरजेंसी सेवा मात्रे सँचालनमे अछि ।
No comments:
Post a Comment