१८ आसिन काठमाडौँ । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव वर्तमान सरकार शुकरातीक बाद राष्ट्रिय सहमतिक सरकार गठन हाएत दाबी कएलनि अछि ।
विराटनगर-१८ स्थित अपने निवासमे आइ संचारकर्मीसबसँग बात करैत अध्यक्ष यादव स्वच्छ छवि भेल प्रधानमन्त्रीके आसपास राष्ट्रिय भ्रष्टसब रहलासँ सरकारप्रतिके जनविश्वास घटैत गेल बतौलनि । अदालत जन्मकैदके फैसला केने अपराधीके आममाफी तयारी कएल गेल कहैत ओ आपत्ति प्रकट कएलनि ।
देशके सुरक्षा करयके जिम्मेवारी पौअने रक्षामन्त्री स्वँय देश विखण्डन करयके अभिव्यक्ति दऽ कऽ सरकार प्रतिके जनविश्वास घटौने हुनक कहब छलनि । माओवादी शान्ति या उग्रवामपन्थी सैन्यवादी मेसँ कुन बाट चुनत से निर्णय करय नहि सकलासँ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणकार्य गति लेबय नहि सकल स्पष्ट केलनि ।
No comments:
Post a Comment