सोमालिया १८ आसिन । सोमालियाके राजधानी मोगादिशू में भेल एक आत्मघाती बम हमलामें मृत्यु होबयबलाके संख्या बढि कऽ ७६ पहुँचगेल अछि तऽ घाइल भेल १५२ गोटे अखनो अस्पतालमे इलाज करा रहल अछि ।
अफ़्रीकी संघके शांति रक्षक किछ घाइलके सैनिक अस्पतालमें रेफर कऽ देने अछि । राष्ट्रपति शेख़ शरीफ़ शेख़ अहमद घटनास्थल पऽ पहुँच कऽ अवलोकन केलनि अछि ।
चरमपँथीक एक गोटे काल्हि एकटा सरकारी भवनमे बिष्फोटक पदार्थसँ भरल ट्रक लऽ जा कऽ ठोकरौला बाद एतेक सँख्यामे मृत्यु भेल अछि ।
No comments:
Post a Comment