३० आसिन बिहार । बिहारके दरोंदा विधान सभाके लेल भेल उप चुनावमें जनता दल (यू) के उम्मेदवार कविता अपन निकटतम प्रतिद्वंदीसँ लगभग 20,000 भोटसँ जीत हासिल केलिह अछि ।
सिवान ज़िलाके दरोंदामें ओतयके पूर्व विधायकके मृत्यूके कारण चुनाव करबाब पड़ल छल । ओ सीट पहिनहु जेडीयूके छल ।
अहि चुनावमें जीत हासिल करयबाली कविता ओतयके पूर्व विधायकके पुतौह अछि आ हुनकर बिबाह हालेमें भेल छल । हुनकर पतिके नाम कतेकौ आपराधिक मामलामे सँलग्न रहल आरोपमे लेल जाइत अछि ।
No comments:
Post a Comment