काठमाडौ, आश्विन ३० । उपप्रधानमन्त्री तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार बदलैत अन्तर्राष्ट्रिय परिस्थिति आ जनचाहना अनुरुप नेपाल प्रहरी संगठनके विकसित करयके आवश्यकता रहल बतौलनि अछि ।
नेपाल प्रहरीद्वारा प्रहरी दिवस– २०६८ के उपलक्ष्यमे आइ आयोजित शहिद प्रहरीप्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण समारोहमे ओ नेपाल प्रहरीके आधुनिकीकरण आ व्यवसायीकरण करयदिस सरकार आवश्यक पहल करत जानकारी देलनि ।
गृहमन्त्री गच्छदार देशमे शान्ति सुरक्षा स्थापना करय, राष्ट्र निर्माण आ विकासक लेल प्रहरीके सहभागिता अपरिहार्य रहल बतौलनि ।
गृहमन्त्री गच्छदार प्रहरी नीति, प्रहरी सरुवा बढुवामे हस्तक्षेप भेल खबर कपोलकल्पित रहल बतबैत अहि प्रक्रियामे हस्तक्षेप नहि होए उद्देश्यसँ सरकार प्रहरी सेवा आयोगके मस्यौदा तयार करय लागल जानकारी करौलनि ।
ओ प्रहरी संगठनके निचलास्तरके कर्मचारीके कार्यक्षेत्रमे मनोबल बढाबयके लेल सरकार कल्याणकारी योजना सञ्चालन करयके तथा प्रहरी संगठनमे लैंगिक मैत्री वातावरण बनाबयमे लागत विश्वास व्यक्त कएलनि ।
प्रहरी कर्मचारीके क्षमता अभिवृद्धिके लेल प्रहरी प्रशिक्षण संस्थानके व्यवस्थापन करय तथा ट्राफिक जनचेतनासम्बन्धी पाठ्यसामग्री स्कुलक पाठ्यक्रममे सहभागी कराबय लेल पहल करय समेत गृहमन्त्री गच्छदार सङ्गठन प्रमुखके निर्देशन देने छलथि ।
ओ अवसरमे ओ शहिद प्रहरी स्मारकमे पुष्पहार चढबैत तीन गोटे शहिद प्रहरी परिवारके कदरपत्र तथा स्मारक गुठीके आजीवन सदस्यता प्राप्त करयबला सात गोटे प्रहरी कर्मचारीके कदरपत्र प्रदान केने छलथि ।
कार्यक्रममे अमर प्रहरी परिवार, प्रहरी अधिकृत, कर्मचारी, नागरिक समाजक सदस्य सहितक सब अमर प्रहरी स्मारकमे पुष्पगुच्छा अर्पण कऽ अमर प्रहरीप्रति श्रद्धाञ्जलि व्यक्त केने छलथि ।
कार्यक्रममे प्रहरी परिवार महिला सङ्घसँ अमर प्रहरी परिवारके राहत वितरण कएल गेल छल ।
No comments:
Post a Comment