३० आसिन, काठमाडौं । दलसब भारत भ्रमणके क्रममे सुलुर्दगी सन्धी, एयर मार्सल राखय सहितक दिर्घकालिन महत्व राखयबला कोनो सम्झौता नहि करय प्रधानमन्त्रीके सुझाव देलक अछि ।
प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरवारमे आइ भेल बिमर्शमे कांग्रेस, एमाले सहितक दलसब दिर्घकालिन महत्व राखयबला आ देशभितर आम सहमति नहि भेल कोनो विषयमे सम्झौता नहि करय सुझाव देल गेल छन्हि ।
ओ सब विगतमे भेल टनकपुर महाकाली सहितक सम्झौता कार्यान्वयनबारे खुलस्त् रुपमे बिमर्श करय सुझाव देने कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल जानकारी देलनि ।’
नेतासब आर्थिक हितमे बिमर्श करय आ आवश्यक सम्झौता करय सेहो प्रधानमन्त्रीके सुझाव देने छथि ।
एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल, राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष सूर्यबहादुर थापा सहितक सब माओवादी आ भारतबीचक सम्वन्धबारे प्रष्ट करयआग्रह कएने छलथि ।
बिमर्शमे माओवादी, कांग्रेस, एमाले, मधेसी मोर्चासँग आबद्ध विभिन्न राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासबह सहभागिता छल । प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई कातिक ३ गते ४ दिना भारत भ्रमणमे जा ऽ रहल छथि ।
No comments:
Post a Comment