१७ पुष काठमाण्डौ । अबकाशमे जाए चाहयबला माओवादी लडाकूके बिदाई ब समायोजनमे जाए चाहयबलाके समायोजन तालिकाबारे सेना समायोजन बिशेष समितिमे बिमर्श होवय लागल अछि ।
साँझ ५ बजे बैसय लागल बैसारमे बिशेष समिति मातहतके सचिवालय तयार केने तालिका सहितक प्रस्ताव उपर बिमर्श हाएत बिशेष समिति सदस्य एवं एमाले नेता भिम रावल जानकारी देलनि ।
अहिसँ आगु समिति संयोजक एवं प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई बेर बेर वैसार स्थगित कएने छलथि । लडाकूके बिदाई करयके कि नहि करयके बिषयमे माओवादी नेतृत्व आ लडाकू कमाण्डर वीचक बिबादके कारण वैसार वैसय नहि सकल छल । माओवादी लडाकू कमाण्डर समायोजनमे जाएबला लडाकूके दर्जा, पछिला शैक्षिक योग्यताके मान्यता सहितक बिषयमे स्पष्ट सहमति नहि होवयधरि स्वेच्छिक अबकाशमे जाएबला लडाकूके बिदाई नहि कएल जाएत अडान रखैत आएल छलथि ।
आजुक वैसारसँ स्वेच्छिक अबकाश चुनने लडाकूके बिदाई सुरु करयके सहमति कएल जाएत बताओलगेल अछि । माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड आ प्रधानमन्त्री लडाकूके बिदाईमे सहमत भेल बताओलगेल अछि । अहिना नेपाली सेना पेश केने समायोजन खाकाके आधारमे सचिवालय तयार प्रस्ताव उपर सेहो बिमर्श होवयके कार्यकतालिका रहल बताओलगेल अछि ।
डेढ महिना आगु सम्पन्न लडाकू वर्गिकरण प्रकृयामे करिब ९ हजार समायोजन चुनने अछि तऽ बाँकी स्वेच्छिक अबकाश ।
No comments:
Post a Comment