१७ पुष काठमाण्डौ । नेकपा एमालेक केन्द्रीय सदस्य एवं पूर्व उर्जामन्त्री गोकर्ण विष्ट सरकार चाहत तऽ लोडसेडिङ आधा कम कएल जाऽ सकैय बतौलनि अछि । ओ तत्काल ओइदिस लागय सुझाव दैत सरकारसँग इच्छाशक्ति नहि रहल बतौलनि ।
सरकार लोडसेडिङ घटावयके बदला बढावयदिस लागल आरोप लगबैत ओ लाइसेन्स वितरण करिते समय ध्यान देवयके छल बतौलनि ।
प्रेस चौतारी नेपाल दाङ शाखा आइ घोराहीमे केने पत्रकार भेटघाटमे बजैत विष्ट सर्वोच्च अदालत आ व्यवस्थापिकाबीच देखलगेल द्वन्द्वके तत्काल अन्त्य करय परत बतौलनि । जनताके भावना अनुरुपके संविधान लिखय लेल सेहो कार्यपालिका, व्यवस्थापीका आ न्यायपालिका बीचमे समन्वय आवश्यक रहल धारणा ब्यक्त कएलनि ।
माओवादीमे देखलगेल विवादसँ संविधान निर्माण आ शान्ति प्रकृयाकाके सम्वन्धमे कोनो असर नहि परय चाही कहैत ओ माओवादीके पुरना बाटोमे घुरयके बात सोचय नहि चाही बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment